केंद्रीय मंत्री अश्विनी वैष्णव २० जनवरीसँ स्विट्जरलैंडक दावोसमे शुरू होबय वाला विश्व आर्थिक मंच (डब्ल्यूईएफ) २०२५ मे भारतक प्रतिनिधित्व करताह। ई आयोजन भारतकेँ समावेशी विकास आ डिजिटल रूपांतरणक वैश्विक मंच पर प्रदर्शित करय केर एकटा महत्वपूर्ण अवसर अछि।
दावोस जायसँ पहिने अश्विनी वैष्णव कहलनि कि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक नेतृत्वमे भारत समाजक हर वर्ग खास कऽ वंचित समुदायक जीवनमे पैघ बदलाव आनय केर प्रयास कयलक अछि।
ओ कहलनि जे, “प्रधानमंत्री मोदी समावेशी विकास पर जोर देलनि अछि जे समाजक निचला वर्गक लोक तक पहुंचैत अछि। बैंक खाता, शौचालय, गैस कनेक्शन, नलक पानिक माध्यमसँ वित्तीय समावेश आ ग्रामीण एवं शहरी क्षेत्रमे बुनियादी ढांचामे सुधार जेहन योजना वैश्विक ध्यान आकर्षित कऽ रहल अछि।”
अश्विनी वैष्णव कहलनि जे विश्व आर्थिक मंचमे समावेशी विकास, डिजिटल बुनियादी ढांचामे निवेश आ तकनीक केर लोकतंत्रीकरण पर चर्चा होयत।
ओ कहलनि, “दुनिया भारतक आर्थिक नीति, डिजिटल इंडिया कार्यक्रम आ तकनीकक माध्यमसँ समाजक सभ वर्गकेँ सशक्त बनाबै केर हमर पहलक समझय लेल उत्सुक अछि।”
डिजिटल इंडिया अभियानक तहत भारत जाहि तरीकासँ डिजिटल रूपांतरण हासिल कयलक अछि ओ दुनियाक लेल एकटा मिसाल बनि गेल अछि. एकर माध्यमसँ सेवाकेँ आसान आ पारदर्शी बनाओल गेल अछि। विश्व आर्थिक मंच २०२५ मे १३० सँ अधिक देशक लगभग ३,००० वैश्विक नेता भाग लेत। एहि बेर भारत दिसिसँ पांचटा केंद्रीय मंत्री, तीनटा मुख्यमंत्री आओर दोसर राज्यक कतेको मंत्री एहिमे भाग लेत।
पांच दिनक ई बैठक आर्थिक विकासमे तेजी आनय, नव तकनीकक उपयोग बढ़ाबय आ सामाजिक एवं आर्थिक स्थिरताकेँ मजबूत करब सन महत्वपूर्ण मुद्दा पर केंद्रित होयत। भारतक भागीदारीक उद्देश्य वैश्विक साझेदारीकेँ मजबूत करब, अधिक निवेश आकर्षित करब आ भारतक सतत विकास एवं तकनीकी नवाचारमे अग्रणी देशक रूपमे स्थापित करब अछि।