राजनीति

अरविन्द केजरीवाल आरएसएस प्रमुख मोहन भागवतकेँ चिट्ठी लिखि, कतेको प्रश्न पूछल

नई दिल्ली
*

आम आदमी पार्टीक संयोजक अरविन्द केजरीवाल आरएसएस प्रमुख मोहन भागवतकेँ पत्र लिखलनि। पत्रमे केजरीवाल लिखलनि, “भाजपा अतीतमे जे किछु गलती कयलक अछि, की आरएसएस ओकर समर्थन करैत अछि ? भाजपा नेता खुलेआम पाइ बाँटि रहल छथि, की आरएसएस वोट खरीदबाक समर्थन करैत अछि ? दलित आ पूर्वांचली वोट सामूहिक रूपसँ काटल जा रहल अछि, की आरएसएसकेँ लगैत अछि जे ई लोकतंत्रक लेल नीक अछि ?

अरविंद केजरीवाल आ भाजपा मतदाता सूचीकेँ लऽकऽ एक दोसरा पर आरोप लगा रहल अछि। केजरीवाल पहिने कहने छलाह जे भाजपा दिल्लीमे वोट काटि रहल अछि। जे वास्तविक मतदाता छथि हुनकर वोट काटबाक षड्यंत्र चलि रहल अछि। ओ कहलनि, “हमर नई दिल्ली निर्वाचन क्षेत्रमे हुनकर (भाजपाक) ऑपरेशन लोटस १५ दिसंबरसँ चलि रहल अछि। एहि १५ दिनमे ओ सभ लगभग ५००० वोट हटाबय आ ७५०० वोट जोड़बाक लेल आवेदन कयलनि अछि।”

भाजपा सेहो आम आदमी पार्टी पर निशाना साधलक अछि। भाजपा अध्यक्ष वीरेंद्र सचदेवा कहलनि, “२०१४ मे जखनि चुनाव भेल छल, तखनि दिल्लीमे मतदाताक संख्या १.१९ करोड़ छल। एकर बाद २०१५ मे ई संख्या बढ़ि कऽ १ करोड़ ३३ लाख भऽ गेल अछि। बढ़ल १४ लाख लोककेँ के अनलक आ कतयसँ आयल एकर कोनो उत्तर नहि अछि।

आम आदमी पार्टी (आप) दिल्ली चुनावक लेल ७० उम्मीदवारक नामक घोषणा कयलक अछि। सीएम आतिशी कालकाजीसँ आ पूर्व सीएम अरविन्द केजरीवाल नई दिल्लीसँ चुनाव लड़ि रहल छथि। दोसर दिसि, भाजपा एखन धरि अपन कार्ड नहि खोललक अछि आ उम्मीदवारक नामक घोषणा नहि कयलक अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *