बंगालक घटना पर प्रसिद्ध गायक उदित नारायण कहलनि जे बंगालमे जे भऽ रहल अछि से नहि हेबाक चाही, हम एहि पर बेसी नहिं बजब, मुदा जे भऽ रहल अछि से ठीक नहिं अछि।
रामायण धारावाहिकमे भगवान श्रीरामक भूमिका निभौनिहार भारतीय जनता पार्टीक सांसद अरुण गोविल आ गायक उदित नारायण पटना पहुँचलाह। दुनू मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक जीवन पर लिखल पोथीक विमोचन समारोहमे भाग लेलनि। पटना हवाई अड्डा पर दुनू मेहमानक भव्य स्वागत कयल गेल।
एम्हर पत्रकारसँ बातचीत करैत भारतीय जनता पार्टीक सांसद अरुण गोविल कहलनि अछि जे कोलकातामे जे भऽ रहल अछि से नहिं हेबाक चाही, ओतयक माहौल बहुत खराब भऽ गेल अछि। “ममता बनर्जी जे कहैत छथि से कए रहल छथि। ओ एकटा स्वतंत्र देशक नागरिक छथि। ओ किछु कए सकैत छथि, ओ ममता बनर्जी छथि, ओ किछु कहि सकैत छथि।”
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर लिखल पोथीक विमोचनमे भाग लेबय लेल आयल प्रसिद्ध गायक उदित नारायण कहलनि जे बंगालमे जे भऽ रहल अछि से नहिं हेबाक चाही, हम एहि पर बेसी नहिं कहब मुदा जे भऽ रहल अछि से सही नहिं अछि। “बिहार के गांधी नीतीश कुमार छथि आ नीतीश कुमार बहुत नीक काज कए रहल छथि। हम सभ हुनक पोथीक विमोचन समारोहमे भाग लेबाक लेल आयल छी आ ओ वास्तवमे बिहारक गाँधी छथि।”
डॉ. अशोक चौधरी आ डॉ. शाम्भवी चौधरी लिखलनि पोथी
बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक जीवन पर रवि दिन ‘बिहार का गांधी नीतीश कुमार’ नामक पोथीक विमोचन भेल। ई पोथी बिहारक मंत्री डॉ. अशोक चौधरी आ हुनक बेटी समस्तीपुरक सांसद डॉ. शाम्भवी चौधरी लिखने छथि। एहि पोथीक विमोचन राज्यपाल राजेन्द्र विश्वनाथ आर्लेकर विधानसभा ऑडिटोरियममे कयलनि। कार्यक्रममे बिहार विधानसभा अध्यक्ष नंद किशोर यादव, सांसद अरुण गोविल, उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी आ गायक उदित नारायण उपस्थित गणमान्य व्यक्तिमे शामिल छलथि।