सुरक्षा

बीपीआर एंड डी ५४म स्थापना दिवस समारोहमे आइ अमित शाह हेताह सम्मलित

नई दिल्ली
*

केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाह आइ बुधकेँ नई दिल्लीमे पुलिस अनुसंधान आ विकास ब्यूरो (बीपीआर एंड डी)क ५४म स्थापना दिवस समारोहमे मुख्य अतिथि होयताह। एहि दौरान ओ आनन्द स्वरूप गुप्ता स्मारकमे “नए आपराधिक कानून-नागरिक केन्द्रित सुधार” विषय पर चर्चा करताह।

गृह मंत्री अमित शाह वर्ष २०२३ आ २०२४ लेल विशिष्ट सेवाक लेल राष्ट्रपति पदक आ सराहनीय सेवाक लेल राष्ट्रपति पदक प्राप्तकर्ताकेँ सम्मानित सेहो करताह। समारोहक दौरान गृह मंत्री नव आपराधिक कानून पर ब्यूरो केर प्रकाशनक एकटा विशेष अंक ‘भारतीय पुलिस जर्नल’क विमोचन सेहो करताह। पुलिस अनुसंधान आ विकास ब्यूरो (बीपीआर एंड डी) केँ भारतीय पुलिस बलकेँ आवश्यक बौद्धिक, भौतिक आ संगठनात्मक संसाधनसँ लैस कऽ पुलिसिंगक सङ्ग आन्तरिक सुरक्षा चुनौतिसभक सामना करबाक जिम्मेदारी सौंपल गेल अछि।

१९७० सँ अपन स्थापनाक बाद बीपीआर एंड डी अनुसंधान आ विकासमे पुलिसिंगमे उत्कृष्टताकेँ बढ़ावा देबाक लेल भारतीय पुलिसक थिंक-टैंकक रूपमे काज कऽ रहल अछि। एहि संस्थानक उद्देश्य नीति आ प्रक्रियाक विकास करबाक सङ्ग-सङ्ग नागरिकसभकेँ बेहतर सेवा प्रदान करय लेल नव प्रौद्योगिकीक खोज, कानून प्रवर्तन एजेंसीसभक क्षमता निर्माण, राज्य आ केन्द्रीय पुलिस सङ्गठनक बीच सहयोग आ समन्वयकेँ बढ़ावा देबाक अछि।

केन्द्रीय गृह सचिव गोविन्द मोहन, केन्द्रीय सशस्त्र पुलिस बल (सीएपीएफ)क महानिदेशक, केन्द्रीय पुलिस संगठनक प्रमुख आ गृह मंत्रालय आ अन्य विभागक वरिष्ठ अधिकारी सेहो उद्घाटन समारोहमे भाग लेताह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *