समारोह

अखिल भारतीय मिथिला संघक ५७म मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह

दिल्ली समदिया
*

हर वर्षक भाँति अ
एहि वर्ष ५७म मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोहक आयोजन अखिल भारतीय मिथिला संघक तत्वावधानमे ( सहयोग- मैथिली भोजपुरी अकादमी दिल्ली सरकार ) डॉ. अंबेडकर इंटरनेशनल सेंटर, नई दिल्लीमे दिनांक 21 – 22 दिसंबरकेँ आयोजित कैल जा रहल अछि। एहि सम्बन्धमे मैपुप्र. समदियाकेँ जानकारी देल गेल अछि।

जानकारीक अनुसार एहि अवसर पर अनेको मंत्रीगण, सांसद, विधायक, विद्वतजन, साहित्यकार सभ भाग लेताह। एहि समारोहक मुख्य बिंदु सभमे अछि – स्व. प्रभात झा एवं स्व. शारदा सिन्हा जीकेँ श्रधांजलि देल जायत। संगहि ‘तीरभुक्ति’ आ ‘समय संकेत’ पत्रिकामे एहि बेरक मुख्य विशेषांक अछि, भारत रत्न स्व. वाजपेयी जी, स्व. प्रभात जी आ पद्म विभूषण प्राप्त स्व. शारदा सिन्हा जी पर लेखन।

ई कार्यक्रम 21 दिसंबर दिनकेँ 10 बजे अतिथि स्वागतसँ शुरू होयत। संगहि सेमिनार आ कवि गोष्ठी सेहो रहत। देशक बहु चर्चित कवि सब आमंत्रित छथि।

सेमिनारक मुख्य विषय अछि मिथिलामे उद्योग आ पर्यटनकेँ बढ़ाबा पर चर्चा संगहि हरेक साल मिथिलामे बाढ़िसंँ भऽ रहल क्षतिसँ कोना निपटल जाए ताहि पर चर्चा होएत।

22 दिसंबरक कार्यक्रम दुपहरिया 2 बजेसँ शुरू होयत। एहिमे सम्मान समारोहक संग सांस्कृतिक कार्यक्रम जाहिमे देश भरीसँ चर्चित मैथिल कलाकार सभ सहभागी बनताह/ बनतीह।

दरभंगा आकाशवाणीकेँ रिले केंद्रक रूपमे विस्थापित करय केर लेल जे प्रयास सरकार द्वारा कयल जा रहल अछि तकर पुरजोर विरोध सेहो वाद-विवादक चर्चामे रहत।

आसपासक मैथिल-मैथिलानी सबकेँ सादर आमंत्रित कयल गेल अछि। दुनु दिनक कार्यक्रममे हिस्सा लेबय लेल आमंत्रित कयल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *