ऑल इंडिया मजलिस-ए-इत्तेहादुल मुस्लिमीन (एआईएमआईएम)क नेता अकबरुद्दीन ओवैसी एकटा चुनावी रैलीमे मराठा कोटाकेँ अपन समर्थन देबय केर बात कहलनि अछि। एतय ओ तेलंगानाक तर्ज पर मुस्लिम आरक्षण लागू करबाक माँग सेहो उठौलनि।
ओ कहलनि, “हम महाराष्ट्रक मराठा नेतासभकेँ अपन पूरा समर्थन देब। ओ मराठा आरक्षणक लेल लड़ि रहल छथि। जखनि जरूरत पड़त, हम हुनकर समर्थन करब। मुदा हम एकटा बात कहब जे हमर तेलंगानामे मुसलमानक लेल चारि प्रतिशत आरक्षण अछि। महाराष्ट्र मे किएक नहि अछि ? एना कियैक छैक ? कारण ई अछि जे हमर इतिहास मजबूत नहिं अछि। लोक हरदम आरोप लगबैत अछि।
ओवैसी अपन पार्टी पर सत्तारूढ़ दलक सङ्ग नीक सम्बन्धक लेल ताना मारबा पर सेहो अपन विचार व्यक्त कयलनि। ओ कहलनि, “पहिने राज शेखर रेड्डी मुख्यमंत्री छलाह, फेर चन्द्रशेखर राव आबि हुनक टीममे शामिल भेलाह। आब कांग्रेसक रेवंत रेड्डी अयलाह आ फेर अकबर आ असद सेहो हुनका सङ्ग जुड़ि गेलाह। माफ करब हमर भाय, हम मुख्यमंत्रीक संग नहि रहैत छी, ओ हमरासभक संग रहैत छथि। जे मुख्यमंत्री होइत छथि, हुनका हमर जरूरत होइत अछि। जँ ओ हमरा लग नहि रहत तखनि फेर शासन करब कठिन भऽ जायत। हुनका हमर जरूरत अछि, नहिं कि हमरा हुनकर जरूरत अछि। इ शक्ति अछि, इएह हमर इतिहासक ताकत अछि।”
ओ आगू कहलनि, “जँ कियो रामक भक्त अछि तखन हम ओहिना मुहम्मद आ रसूल अल्लाह केर चाहयवाला गुलाम छी। हम रसूल अल्लाहक आशिक छी आ आइ हम हुनक आशिक सभक बीच ठाढ़ छी। रसूलक इश्कक वास्ता दैत हम इएह अपील करैत छी जे ई समय बर्बाद करबाक नहि अछि, ई समय एकजुट होयबाक अछि, संगठित होएब आ मूक्त होयबाक अछि। हमरा सभकेँ एकटा साझा मंच पर एक संग आबए केर अछि। खुदाक कसम, हमरासँ मुकाबला तऽ दूर, कियो हमरासभक तरब अंगुरी पर्यंत नहि उठा सकत, बस शर्त ई अछि जे हमसभ एकजुट भऽ जाइ।”