देश-दुनिया

अजित डोभाल ब्रिक्स एनएसए शिखर सम्मेलन रूसमे लेताह भाग

नई दिल्ली
*

ब्रिक्स राष्ट्रीय सुरक्षा सलाहकार (एनएसए) शिखर सम्मेलन अक्टूबरमे रूसक अध्यक्षतामे कजानमे आयोजित होयत। एहिसँ पहिने अजित के. डोभाल अगिला सप्ताह रूसक दौरा करताह। कहल जा रहल अछि जे एहि दौरान रूस यूक्रेन युद्धक बारेमे चर्चा होएत।
सूत्रक अनुसार एहि यात्राक दौरान ओ अपन चीनी समकक्षसँ सेहो भेंट कऽ सकैत छथि। डोभालक अपन रूसी समकक्षसँ अलग-अलग आ ब्रिक्सक अन्य सदस्य देशक प्रतिनिधिसँ सेहो अलग-अलग भेंट करबाक सम्भावना अछि। एहिसँ पहिने ओ २०२३मे जोहान्सबर्गमे १३म ब्रिक्स एनएसएक बैसारमे भाग लेलनि।

पछिला साल पाँच गोट नव सदस्य सऊदी अरब, संयुक्त अरब अमीरात, ईरान, मिस्र आ इथियोपियाकेँ एहि समूहमे शामिल कयल गेल छल। एकर बाद ब्रिक्स एनएसएक ई पहिल बैसार होयत।

राष्ट्रपति पुतिनक सङ्ग प्रधानमंत्रीक टेलीफोन पर बातचीतक क्रममे ई चर्चा भेल जे प्रधानमंत्री अपन यूक्रेन यात्राक बाद शान्तिक विचारपर चर्चा करबाक लेल अपन एनएसए रूस पठयताह। एकरा देखैत एनएसए अजित डोभाल रूसक दौरा करताह।

ब्रिक्स राष्ट्रीय सुरक्षा सलाहकारक बैसार ब्रिक्स राजनीतिक आ सुरक्षा सहयोगमे एकटा महत्वपूर्ण मीलक पत्थर अछि। एहि बैसारक अन्तर्गत राष्ट्रीय सुरक्षा पर उच्च प्रतिनिधि आतंकवादक प्रतिरोध, साइबर सुरक्षा, शान्ति आ स्थिरता, अन्तर्राष्ट्रीय संगठित अपराधक सङ्ग-सङ्ग ब्रिक्स देशसभक राष्ट्रीय सुरक्षा सन सुरक्षा मुद्दापर चर्चा करैत छथि।

ब्रिक्स देशक एनएसए २००९ सँ संचार बढ़ाबय आ सुरक्षा मुद्दा पर सूचनाक आदान-प्रदान लेल बैसार कऽ रहल अछि।

ब्रिक्स देशसभ तेजीसँ आतंकवाद-विरोधी रणनीति विकसित कयलक अछि। एहि रणनीतिक उद्देश्य आतंकवाद विरोधी सहयोगक सङ्ग अंतर्राष्ट्रीय शान्ति आ सुरक्षाकेँ मजबूत केनाइ आ हिंसक आतंकवादक खतराकेँ रोकनाय आ ओकर मुकाबला करबाक वैश्विक प्रयासमे सार्थक योगदान देनाइ अछि।

ब्रिक्स एनएसएक १०म बैसार २०२० मे वैश्विक स्थिरता, साझा सुरक्षा आ अभिनव विकासक लेल ब्रिक्स साझेदारी सन विषय पर मंथन करबाक लेल आयोजित कयल गेल छल। बैसारक अवधिमे प्रतिभागी वैश्विक, क्षेत्रीय आ राष्ट्रीय सुरक्षा आ आईसीटीक उपयोमे सुरक्षासँ जुड़ल प्रमुख मुद्दा पर विचारक गहन आदान-प्रदान कयलनि।

एनएसए आतंकवाद आ हिंसक उग्रवाद, अन्तर्राष्ट्रीय संगठित अपराध आ अवैध मादक पदार्थक तस्करीसँ निपटबाक लेल ब्रिक्सक भीतर व्यावहारिक सहयोगक प्रमुख क्षेत्रपर सेहो चर्चा कयलक।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *