यातायात

बमक धमकीक बाद दिल्लीसँ शिकागो जा रहल एयर इंडियाक उड़ानकेँ कनाडा हवाई अड्डा दिस मोड़ल गेल

दिल्ली समदिया
*

दिल्लीसँ शिकागो जायवला एयर इंडियाक उड़ानमे बमक धमकी भेटल। उड़ानकेँ कनाडाक कैलुइट हवाई अड्डा दिस मोड़ि देल गेल अछि। एयर इंडिया कहलक जे ओ एहेन धमकीक अपराधीसभक पहिचान करबाक लेल अधिकारीसभक सम्पर्कमे अछि। जाहिसँ जे एहन करैत छथि हुनका यात्रीकेँ होबयवला असुविधाक लेल जवाबदेह ठहरायल जाय।

दिल्लीसँ शिकागो जायवला एयर इंडियाक उड़ानमे बमक धमकी भेटल अछि। उड़ानकेँ कनाडाक कैलुइट हवाई अड्डा दिस मोड़ि देल गेल अछि। एहि संबंधमे एयर इंडिया द्वारा एकटा बयान जारी कयल गेल अछि। एहिमे कहल गेल अछि जे मंगलदिन दिल्लीसँ शिकागो जा रहल उड़ान एएल१२७ केँ बमक धमकी भेटल। एकर बाद एहतियात केर तौर पर उड़ान कनाडाक इकल्युइट हवाई अड्डा पर उतरल।
एयर इंडिया वक्तव्यमे आगू कहलक जे निर्धारित सुरक्षा प्रोटोकॉलक अनुसार उड़ान आ यात्रीसभक जाँच कयल जा रहल अछि। यात्रीसभक मदति लेल हवाई अड्डा पर एजेंसी सक्रिय कऽ देल गेल अछि। एयर इंडिया आ अन्य एयरलाइन्सकेँ हालक दिनमे कतेको धमकी भेटल अछि। मुदा, ई अफवाह जाञ्चक क्रममे सिद्ध भेल।

एअर इंडिया कहलक, “एकटा जिम्मेदार एयरलाइन ऑपरेटरक रूपमे धमकीकेँ गम्भीरतासँ लेल जाइत अछि। यात्रीक भेल असुविधाक लेल खेद अछि। एयर इंडिया एहन धमकीक अपराधीसभक पहिचान करबाक लेल अधिकारीसभक सम्पर्कमे अछि। जाहिसँ जे एहन करैत छथि हुनका यात्रीकेँ होबयवला नोकसान आ असुविधाक लेल जवाबदेह ठहरायल जाय। संगहि, एयरलाइनकेँ भेल नोकसानक भरपाई लेल कानूनी कारवाईपर विचार कयल जायत।
एकटा आन घटनामे मंगलदिन एयर इंडिया एक्सप्रेसक एकटा उड़ानकेँ बमक धमकी भेटल। एहि उड़ानमे १३२ यात्री छलाह (बोइंग ७३७-मैक्स ८)। विमान जयपुरसँ आबि रहल छल। अयोध्यामे किछु समय रुकलाक बाद हम बेंगलुरु लेल प्रस्थान करय बला छलहुँ। धमकी भेटलापर उड़ान यूपीक अयोध्या हवाई अड्डा पर उतरल।”
एयर इंडिया एक्सप्रेस कहलक, “हमरा एकटा सोशल मीडिया अकाउंटसँ धमकी भेटल अछि। सुरक्षा प्रोटोकाल तत्काल सक्रिय कएल गेल. उड़ान आपातकालीन लैंडिंग कयलक। जाँचक बाद उड़ानकेँ उड़ान भरबाक स्वीकृति देल जायत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *