लोकसभा चुनावक तेसर चरणक चुनाव प्रचारक अंतिम दिन रविदिन विभिन्न राजनीतिक दल द्वारा जोरदार मतदाता जागरूकता अभियान चलाओल गेल। एहि क्रममे भारतीय मजदूर संघ द्वारा कार्यकर्ताक बीच मतदाता कार्यक्रमकेँ आयोजन कयल गेल। एहि अवसर पर भारतीय मजदूर संघक बिहार झारखंड क्षेत्रीय संगठन मंत्री धर्मदास शुक्ला एवं प्रदेश मंत्री सह जिला प्रभारी शंभू कुमार चौबे राष्ट्र हितमे अपन मताधिकार प्रयोग करबाक आह्वान कयलनि। ओ कहलनि कि देश सर्वोपरि अछि।एहन स्थितिमे हमरा सबकेँ देशक विकास लेल सोचऽ समझ केर चाही आ अपन सभ्यता संस्कृतिक रक्षा करय वाला पार्टीकेँ बहुमत दऽ कऽ अपन जिम्मेदारीक निर्वहन करबाक चाही। ओ कहलनि जे आजादीक बाद देशमे अंग्रेजी थोपल गेल आ पाश्चात्य संस्कृति केर बढ़ावा देल गेल। संगहि अपन रीति-रिवाज खारिज भ’ गेल। जकर प्रत्यक्ष उदाहरण अछि जे मजदूर दिवस १ मई केर मनाओल जाइत अछि। जखन कि असली मजदूर दिवस विश्वकर्मा जयंतीकेँ मनाओल जाय। किएक तऽ भगवान विश्वकर्माकेँ श्रम पूजाक लेल मूल शिल्पकार मानल जाइत अछि ।1886 मे शिकागो शहरमे मजदूरक हत्या भेल छल। ओहि दिन मजदूर दिवस मनायब उचित नहिं। ओ कहला जे 1884 मे महामना नारायण माधव लोखंडे मजदूरक हितमे सफल हड़ताल आ प्रदर्शनक आयोजन कयलथि आ मांग कयलथि जे मजदूरकेँ आठ घंटा तक काज करब एकटा मौलिक अधिकार अछि। ओ कहलनि जे एहि लोकतंत्रमे राष्ट्रीय महोत्सव पर अपन मतदानक गर्व करू। एहि अवसर पर जिला कार्यवाह विद्या वरण सिंह, भवन निर्माण मजदूर संघक संतोष पासवान, सुभाष चंद्र झा, विश्वनाथ कुमार , राहुल राज, माधव कुमार, नवीन कुमार, राजाराम कुमार, मुन्ना कुमार आदि उपस्थित रहलाह।