देश-दुनिया

राजनयिक सम्बन्ध बनलाक बाद पीएम मोदीक पहिल पोलैंड आ यूक्रेनक यात्रा

नई दिल्ली
*

प्रधानमंत्री मोदी आइ बुधसँ पोलैंड आ यूक्रेनक तीन दिवसीय यात्रापर रहताह। विदेश मंत्रालयक सचिव तन्मय लाल कहलनि जे पीएम मोदीक ई यात्रा कतेको तरहें महत्वपूर्ण अछि।

अपन पोलैंड यात्रामे प्रधानमंत्री मोदी प्रधानमंत्री डोनाल्ड टस्क आ राष्ट्रपति आंद्रेज डुडासँ भेंट करताह। यूक्रेनक राष्ट्रपति व्लादिमीर ज़ेलेंस्कीक आमंत्रण पर प्रधानमंत्री मोदी शुक्रदिन यूक्रेनक आधिकारिक यात्रा करताह। प्रधानमन्त्रीक यूक्रेन यात्रा सेहो ऐतिहासिक अछि किएक तँ राजनयिक सम्बन्धक स्थापनाक ३० सालसँ बेसी समयमे ई पहिल बेर अछि जखन कोनो भारतीय प्रधानमन्त्री यूक्रेन जा रहल छथि।

४५ सालमे कोनो भारतीय प्रधानमंत्रीक पहिल पोलैंड यात्रा।
विदेश मंत्रालयक अनुसार, पीएम मोदी २१-२२ अगस्तकेँ पोलैंडक दौरा करताह। ४५ सालमे कोनो भारतीय प्रधानमन्त्रीक ई पहिल पोलैंड यात्रा होयत। जतय वारसॉमे पीएम मोदीक औपचारिक स्वागत होएत। ओ राष्ट्रपति महामहिम आंद्रेज सेबेस्टियन डुडासँ भेंट करताह आ प्रधानमंत्री डोनाल्ड टस्कक संग द्विपक्षीय वार्ता करताह। प्रधानमंत्री पोलेंडमे भारतीय समुदायसँ सेहो बातचीत करताह। एकर बाद प्रधानमंत्री यूक्रेन जयताह। १९९२ मे दुनू देशक बीच कूटनीतिक सम्बन्धक स्थापनाक बाद कोनो भारतीय प्रधानमन्त्रीक यूक्रेनक ई पहिल यात्रा होयत। कीवमे प्रधानमंत्रीक कार्यक्रम द्विपक्षीय सम्बन्धक कतेको पहलूकेँ स्पर्श करत, जाहिमे राजनीतिक, व्यापार, आर्थिक, निवेश, शिक्षा, सांस्कृतिक, लोकक बीच आदान-प्रदान, मानवीय सहायता आ अन्य शामिल अछि। यात्राक क्रममे प्रधानमंत्री मोदी छात्र सहित भारतीय समुदायसँ सेहो बातचीत करताह। प्रधानमंत्रीक यूक्रेनक ऐतिहासिक यात्रा द्विपक्षीय सम्बन्धकेँ आओर मजबूत आ विस्तारित करबामे मदति करत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *