प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी बस्तरमे एकटा जनसभाकेँ सम्बोधित करैत कांग्रेसपर हमला करैत कहलनि जे पारा सातम आसमान धरि पहुँचि गेल अछि। ओ सभ मोदी पर भड़कल छथि। छत्तीसगढ़मे आइ कांग्रेसक भ्रष्टाचार पर सख्त कार्रवाई कयल जा रहल अछि। जे सभ एतय केर युवासभकेँ धोखा देने छथि हुनकर सभक तेजीसँ जाँच कयल जा रहल अछि। आब क्रोधित भऽ ओ लोकनि लाठीसँ मोदीक माथ फोड़बाक धमकी दऽ रहल छथि। मोदी गरीबक बेटा अछि, माथ ऊँच कय कऽ चलैत अछि, हम हुनक धमकीसँ डरयवाला नहिं छी।
मोदी कहलनि जे स्वतन्त्रताक बादसँ कांग्रेस सोचने छल जे ओकरा लग देशकेँ लूटबाक लाइसेंस भेटल अछि। २०१४ मे सत्तामे अयलाक बाद मोदी कांग्रेसक लूटक लाइसेंस रद्द कऽ देलक। २०१४ सँ पहिने लाखो करोड़क घोटाला भेल छल। कांग्रेस सरकारमे दिल्लीसँ एक रुपया निकलैत छल आ गाममे मात्र १५ पैसा पहुँचैत छल। कांग्रेस स्वयं बीचक ८० पैसा लूटि लैत छल। हम कांग्रेसक लूटक एहि व्यवस्था केर बंद कए देलहुं। भाजपा सरकार अपन १० सालमे सोझे ३४ लाख करोड़ टाका लाभार्थीक बैंक खातामे पठौलक अछि।
पीएम मोदी कहलनि जे दुनियामे कोविड केर बड़का संकट आयल, लोग कहैत छलाह जे भारतमे लोक केना जीवित रहत ? कांग्रेसक अमीरक सरकारक समय देशमे बीमारीक टीका आबयमे दशकों लागि जाइत छल। मोदी कहलक जे हम अपन देशक हर गरीबक संग ठाढ़ छी। हम गरीबकेँ मुफ्तमे टीका सेहो देब। हम गरीबकेँ मुफ्त राशन सेहो देब। एहन समयमे जखन आन देशमे हर कोरोना वैक्सीनक प्रयोग हजारो रुपयामे भऽ रहल छल, मोदी अहांकेँ मुफ्त वैक्सीन देलक। मोदी ११ हजारसँ बेसी जन औषधि केन्द्र खोलने अछि। दबाई पर ८०% छूटक संग उपलब्ध अछि। एहिसँ गरीबक ३०,००० करोड़ टाकाक बचत भेल अछि। ताहि लेल आइ देशक गरीब कहि रहल अछि जे “खर्च कम कराए, बचत बढ़ाए बार-बार – फिर एक बार मोदी सरकार।”
हम निर्णय लेलहुँ जे जाधरि गरीबक सभ चिन्ता दूर नहिं करब ताधरि हम आराम नहिं करब। हमर सरकार गरीबक लेल एक-एक कऽ योजना बनओलक आ गरीबकेँ ओकर अधिकार देलक। सरकारक एहि प्रयासक परिणामस्वरूप देशक २५ करोड़सँ बेसी लोक गरीबीसँ बाहर आबि गेल अछि।
आगू नरेन्द्र मोदी कहलनि “छत्तीसगढ़क जनता, बस्तरक हमर भाय-बहिन मोदीक गारंटी पर मोहर लगौलक अछि, आइ ओही विश्वाससँ पूरा देश कहि रहल अछि – एक बेर फेर मोदी सरकार। हमर सरकार गरीबक लेल एक-एक कऽ योजना बनओलक आ गरीबकेँ ओकर अधिकार देलक। सरकारक एहि प्रयासक परिणामस्वरूप देशक पच्चीस करोड़सँ बेसी लोक गरीबीसँ बाहर आबि गेल अछि।