मुन्ना शुक्लाक बयानकेँ ९०क दशकक कथित जंगलराजसँ जोड़ल जा रहल अछि। ओहि समय बूथ लूटल जाइत छल आ बाहुबली नेता सभ चुनावमे जीत-हारक फैसला करैत छलाह। आब मुन्ना फेर ओही समयक उल्लेख कयलनि अछि।
राष्ट्रीय जनता दलक नेता बाहुबली मुन्ना शुक्लाक बयान हुनकर पार्टी आ विपक्षी दलक गठबंधनपर प्रतिकूल प्रभाव छोड़ि सकैत अछि। ओ कहलनि अछि जे नब्बे केर दशकक जिन्न निकलत आ बिहारसँ लालटेन लऽ जाएब, दिल्लीमे महागठबंधनक सरकार बनत। चिराग पासवान मुन्ना शुक्लाक बयान पर पलटवार करैत कहलनि कि मुन्ना शुक्लाक बयान हुनके पर भारी पड़त। राजद प्रत्याशी मुन्ना शुक्ला भरल मंचसँ ९० केर दशकक लोकक याद दिऔलनि अछि। संभवतः हुनकर उद्देश्य किछु आओर रहल होय, मुदा हुनक बयानकेँ ओहि समयक आतंक आ जंगल राजसँ जोड़ल जा रहल अछि।
मुन्ना शुक्ला साफ-साफ कहलनि जे ९० केर दशकक जिन्न निकलत आ बिहारक सब सीट लालटेन जीतत आ दिल्लीमे महागठबंधनक सरकार बनत।
९० आ ९५ केर दशकमे बिहारमे हथियारक बल पर चुनाव केना जीतल जाति छल। इनारसँ मतपेटी बरामद कयल जाइत छल आ बूथ लूटि लेल जाइत छल। हथियारक बलसँ जबरदस्ती कब्जा कएल जाइत छल।
विजय कुमार शुक्ला उर्फ बाहुबली मुन्ना शुक्ला बिहारक वैशाली लोकसभा सीटसँ राजदक टिकट पर चुनाव लड़ रहल छथि। भरल मंचसँ हुनक भड़काउ बयान कतेक सत्य अछि आ की २०२४मे ९०क दशकक स्थिति दोहरायल जायत ? आबयवला दिनमे ई स्पष्ट भऽ जायत, मुदा हुनक बयान भाजपा आ जेडीयूकेँ एकटा आओर मुद्दा देलक अछि, जाहि पर विपक्षी गठबन्धनकेँ घेरल जा सकैत अछि। एहिसँ पहिने सेहो कांग्रेसक नेता एहन बयान देने छथि, जाहि लेल पार्टीकेँ स्पष्टीकरण देबय पड़ल।
मुन्ना शुक्ला वैशाली लोकसभा क्षेत्रक वैशाली प्रखंडमे एकटा चुनावी कार्यक्रम कऽ रहल छलाह, जतय ओ लोकसभकेँ ९० के स्थितिक स्मरण करबैत ई विवादास्पद बयान देलनि। ई पूछला पर कि ९० केर दशकमे जंगलराज सन बात सामने आयल छल, ओ कहलनि जे महागठबंधनक कम्युनिकेशन वाला जिन्न निकलत आ बिहारक लालटेन जा कऽ दिल्लीमे सरकार बनायत। २० साल पहिलुक जंगल राजक बात कयल जाइत अछि, मुदा नीतीश कुमार एवं नरेन्द्र मोदी की कयलथि, पहिने से बताबथि।