व्यवहार न्यायालय परिसर बेनीपुरमे आगामी शनिदिन 14 दिसंबरकेँ आयोजित होबयवला राष्ट्रीय लोक अदालतकेँ सफल बनेबाक लेल विभिन्न बैंकक शाखा प्रबंधक सभक संग एडीजे प्रथम माधवेन्द्र सिंह आ एसीजेएम संगीता रानी संयुक्त रूपसँ बैसार कयलन्हि । एडीजे सिंह कहलन्हि जे बैंक सभ द्वारा लोक अदालतमे ऋण संबंधी मामिलाकेँ निपटेबाक लेल ऋणधारक सभकेँ विशेष रियायत देल जयबाक चाही। एकरा लेल सभ शाखा प्रबंधक अपन-अपन वरीय अधिकारीसँ बात कऽ लैत जाउ।
बहुतो ऐहनो ऋणधारक होइत छथि जे वास्तवमे ऋण चुकाबयमे असमर्थ रहैत छथि। एहेन ऋणधारक लेल विशेष छूटक जरूरत होइत छैक मुदा शाखा प्रबंधक छूट देमयमे अपना आपकेँ असमर्थ बताबय लगैत छथि। एसीजेएम प्रबंधक सभसँ ग्रामीण क्षेत्रमे लोक अदालतक प्रचार प्रसार करबाक निर्देश दैत कहलनि जे बेसीसँ बेसी लोक धरि लोक अदालतक संदेश जयबाक चाही। आगा ओ कहलनि जे आबयवला सप्ताहमे पूर्णरूपेण राष्ट्रीय लोक अदालतक सफलता लेल काज करैत जाउ। कोशिश करैत जाइ जाउ जे बेसीसँ बेसी लोककेँ लोक अदालतक लाभ भेटि सकय।
बैसारमे एसबीआई कृषि विकास शाखाक मुनीन्द्र कुमार , पीएनबी केर पुरुषोत्तम , सेंट्रल बैंकक सूरज कुमार सिंह आ बैंक आफ इंडियासँ मनीष कुमार मौजूद छलाह।