लोकसभामे विपक्षक नेता राहुल गांधी बुधकेँ फेरसँ उद्योगपति गौतम अदाणीक गिरफ्तारीक मांग कयलनि आ आरोप लगओलनि कि केंद्र सरकार हुनकर रक्षा कऽ रहल अछि।
संसदक बाहर संवाददाता सभसँ बातचीत करैत ओ दावा कयलनि जे अदाणीकेँ जेलमे रहबाक चाही किएक तँ हुनका अमेरिकामे हजारो करोड़क अनियमितताक मामिलामे अभियुक्त बनाओल गेल अछि।
एहिसँ पहिने अदाणी समूहक हिस्सा अदाणी ग्रीन एनर्जी लिमिटेड बुधदिन कहलक जे अरबपति गौतम अदाणी आ हुनकर भतीजा सागर अदाणी पर कथित घूसखोरीक मामिलामे अमेरिकी विदेशी भ्रष्ट व्यवहार अधिनियम (एफसीपीए)क उल्लंघनक आरोप नहिं लगाओल गेल अछि।
कम्पनीक ईहो कहब अछि जे हुनका सभपर प्रतिभूति धोखाधड़ीक आरोप लगाओल गेल अछि, जाहिमे मौद्रिक दण्ड लगायब सम्मिलित अछि।
एहि बारेमे पूछला पर राहुल गांधी कहलनि, “की अहाँ (मीडियाकर्मी) केँ लगैत अछि जे अदाणी अपना पर लागल आरोप स्वीकार करत ? अहाँ कोन दुनियामे रहैत छी ? बेशक, ओ एकरा अस्वीकार करत। जेना कि हम पहिने कहि चुकल छी जे हुनका गिरफ्तार कयल जयबाक चाही।
राहुल गांधी कहलनि, “छोट-छोट मामिलामे सैकड़ो लोककेँ गिरफ्तार कयल जाइत अछि। एहि सज्जन पर अमेरिकामे हजारो करोड़ टाकाक अनियमितताक आरोप लगाओल गेल अछि। हुनका जेलमे रहबाक चाही। ओ आरोप लगओलनि जे सरकार अडाणीक रक्षा कऽ रहल अछि।
राहुल गांधी किछु दिन पहिने सेहो अडानीक गिरफ्तारीक माँग कयने छलाह।