मिथिला विभूति पर्व समारोह 21-22 दिसंबर केँ डॉ अंबेडकर इंटरनेशनल सेंटरमे उपलब्धिपूर्ण एवं भव्यतापूर्ण संपन्न भेल। एहि दुनु दिन अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चंद्र झा मुख्य रुपसँ व्यवस्थामे स्वयं सक्रिय देखल गेलाह।
दु दिनक समारोहमे पहिल दिन पहिल सत्रक सेमिनारक विषय जल संरक्षण आ मिथिलामे बाढिक समस्यासँ क्षति आ निदान। एहि पर विद्वत-जनमे घनश्याम झा पूर्व अध्यक्ष केंद्रीय जल संसाधन, चंद्र कांत लाल दास जल संपदा विशेषज्ञ, पदमकांत झा ( पूर्व मुख्य अभियंता) आ डॉ भास्कर ज्योति ( भू राजस्व विभाग बिहार सरकार) सभ अपन वक्तव्य दय परिचर्चा कयलनि।
दोसर सत्रक सेमिनारक परिचर्चाक विषय छल मिथिलामे पर्यटन आ उद्योगक ऊपर चर्चा, जाहिमे बिहारक पर्यटन आ उद्योग मंत्री नितीश मिश्र मुख्य अतिथिक रूपमे भाग लेने छलाह आ बहुत जबरदस्त चर्चा- परिचर्चा भेल। ओहि संग मुख्य वक्ता राजकिशोर, अविनास आ भैरव लाल दास आदि विद्वत जन सभ छलाह।
पर्यटन आ उद्योगक लेल मंत्रीक शपथ ग्रहणसँ एखनि धरि विद्यापति डीह, पुनौरा धाम, उगना महादेव स्थलक कार्य संग उद्योग क्षेत्रमे जे कार्य भऽ रहल अछि ओहि पर चर्चा भेल।
ओकर बाद कवि गोष्ठीक आयोजन अंतिम चरणमे मानू नव ऊर्जाक संचार दर्शक दीर्घामे कयलक। एहिमे उपस्थित छलाह मणि “आमारूपी”, अरविंद मिश्र “नीरज”, मीना झा, आभा झा नीरज झा आ सुधा ठाकुर आदि।
अगिला दिन यानी 22 दिसंबर कऽ पुनः दीप प्रज्ज्वलित कयलाह नितीश मिश्र ( उद्योग आ पर्यटन मंत्री बिहार सरकार) , मनोज तिवारी, महाबल मिश्र राजनेता आदि। विद्वत जनमे डॉ राम चंद्र झा ( ज्योतिषाचार्य), प्रोफेसर रामनाथ झा ( जेएनयु), प्रोफेसर रंजीत कुमार मिश्र (डीयू) श्री राजेश झा ( डीयू) निशा मदन झा ( चेतना समिति), ओ अन्य गण्यमान्य व्यक्ति सब अपन अपन विचारसँ श्रोताकेँ मंत्रमुग्ध कयलनि। संगहि अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चंद्र झा एहि क्रममे हर वर्षक भाँति एहू बेर चारि गोट सम्मान प्रदान कयलनि।
1. सर गंगा नाथ झा सम्मान
2. यात्री सम्मान
3. कामरेड भोगेंद्र झा सम्मान
4. श्री बाबू साहेब चौधरी सम्मान
एहि वर्ष डॉ राम चंद्र झा (ज्योतिष)केँ सर गंगा नाथ झा सम्मान, उदय चंद्र झा विनोदकेँ यात्री सम्मान, डॉ संजय पासवान कामरेडकेँ भोगेंद्र झा आ प्रेम कांत चौधरीकेँ बाबू साहेब चौधरी सम्मानसँ सम्मानित भेलाह।
अंतिम चरणमे समारोहक सांस्कृतिक कार्यक्रम शुरु भेल जकर जिम्मा मंच संचालन डॉ मनोज पाठक संग अद्भुता नंदक संग गायिका आ गायक केर रूपमे विजया भारती, डॉ सुश्मिता, कल्पना, स्नेहा, देवानंद, हीरा झा, मिथिलेश, अनिल चौधरी, नवल किशोर मल्लिक, सोनी, तनिष्क आ सुन्दर डांस ग्रुप श्रोताकेँ मंत्र मुग्ध कयलक।
अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चंद्र झा, राधा नाथ झा, महासचिव, सचिव संग समस्त कार्यकर्ता लोकनि अहि सफल आयोजनमे सतत लागल रहलाह।