राजनीति

आम आदमी पार्टी हरियाणाक सभ ९० सीट पर चुनाव लड़त : संजय सिंह

चंडीगढ़
*

आम आदमी पार्टी हरियाणा विधानसभा चुनावमे सभटा ९० सीटपर चुनाव लड़त, पार्टीक वरिष्ठ नेता संजय सिंह बृहस्पतिकेँ घोषणा कयलनि। हरियाणा विधानसभा चुनाव एहि सालक अन्तमे होबयवला अछि।

चंडीगढ़मे मीडियाकेँ सम्बोधित करैत सिंह कहलनि जे आम आदमी पार्टी हरियाणा विधानसभा चुनाव मजबूतीसँ लड़त। राज्यसभाक सांसद, जिनका सङ्ग पंजाबक मुख्यमंत्री भगवंत मान आ पार्टीक वरिष्ठ नेता संदीप पाठक छलाह, कहलनि: “आम आदमी पार्टी सभ ९० सीटपर चुनाव लड़त।”

सिंह बेरोजगारी, कानून व्यवस्था आ अग्निपथ योजनाक मुद्दा पर हरियाणाक भाजपा सरकार पर निशाना साधलनि। ओ कहलनि, “आइ हरियाणामे जबरन वसूलीक उद्योग चलि रहल अछि। हम देखलहुं जे आंदोलनक दौरान किसानकेँ कोना कुचलि देल गेल। हरियाणामे बेरोजगारी सेहो एकटा पैघ समस्या अछि।”

ओ कहलनि जे अग्निपथ योजना “सेनाक अपमान” अछि। केन्द्र २०२२ मे अग्निपथ योजनाक घोषणा कयने छल जाहिमे साढ़े १७ सालसँ २१ वर्षक आयु समूहक युवाकेँ चारि सालक लेल भर्ती करबाक प्रावधान छैक आ ओहिमेसँ २५ प्रतिशतकेँ १५ साल आओर रखबाक प्रावधान छैक। एहि भर्तीसभकेँ अग्निवीर कहल जाइत अछि।

मान कहलनि जे आम आदमी पार्टीक नेताक रोहतक, सोनीपत आ जींद सन हरियाणाक विभिन्न भागक यात्राक क्रममे लोकसभ कहलनि जे ओ राज्यमे “बदलाव” (परिवर्तन) चाहैत छथि।

ओ आरोप लगओलनि जे हरियाणा कांग्रेस, भाजपा आ क्षेत्रीय दलकेँ अवसर देलक मुदा ई सभ राज्यकेँ लूटि लेलक। मान कहलनि जे आम आदमी पार्टी विधानसभा चुनाव मजबूतीसँ लड़त आ ओकर नारा होयत ‘हरियाणा का हाल बढ़ेंगे, अब लेंगे केजरीवाल’।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *