आम आदमी पार्टी (आप) रविदिन दिल्ली विधानसभा चुनाव २०२५क लेल अपन चारिम आ अंतिम सूची जारी कयलक, जाहिमे ३८ उम्मीदवारक नाम शामिल अछि। पार्टीक राष्ट्रीय संयोजक आ पूर्व मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल नई दिल्लीसँ चुनाव लड़ताह। मुख्यमंत्री आतिशी कालकाजीसँ, मंत्री सौरभ भारद्वाज ग्रेटर कैलाशसँ आ मंत्री गोपाल राय बाबरपुरसँ चुनाव लड़ताह।
एकर अतिरिक्त सत्येन्द्र कुमार जैन शकरपुर बस्तीसँ, दुर्गेश पाठक राजेन्द्र नगरसँ, रघुविंदर शोकीन नांगलोई जाटसँ, सोमदत्त सदर बाजारसँ, इमरान हुसैन बल्लीमारनसँ आ जरनैल सिंह तिलक नगरसँ चुनाव लड़ताह।
जारी ३८ उम्मीदवारक सूचीमे दूटा नव नाम जोड़ल गेल अछि, जखनि कि ३६ वर्तमान विधायककेँ फेरसँ टिकट देल गेल अछि। राकेश पहलवानकेँ कस्तूरबा नगरसँ आ नरेश बल्यानक पत्नी पूजा बाल्यानकेँ उत्तम नगरसँ मैदानमे उतारल गेल अछि। रविकेँ भाजपा नेता राकेश पहलवान आ हुनक पत्नी कुसुमलता पहलवान आपमे शामिल भेलथि। ओ अरविन्द केजरीवालक उपस्थितिमे पार्टीमे शामिल भेलथि।
एहिसँ पहिने शुक्रदिन आम आदमी पार्टी अपन तेसर सूचीमे नजफगढ़सँ तरुण यादवकेँ टिकट देने छल। ९ दिसंबरकेँ जारी दोसर सूचीमे पार्टी १७ वर्तमान विधायकक स्थान पर नव चेहरा लऽ लेलक। ओना मनीष सिसोदिया, राखी बिड़ला आ दीपू चौधरीकेँ फेरसँ मैदानमे उतारल गेल अछि।
दिल्लीमे २०२०क विधानसभा चुनावमे आम आदमी पार्टी ७० सीटमेसँ ६२ सीट जीतल छल, जखनि कि भाजपा ८टा सीट जीतल छल। लगातार दोसर चुनावमे कांग्रेसक प्रदर्शन शून्य छल।