अपराध

आ मधुबनीक खुटौना बाजारमे सेहो मिनी गन फैक्ट्रीक उद्भेदन, पाँच बन्दी

आ मधुबनीक खुटौना बाजारमे सेहो मिनी गन फैक्ट्रीक उद्भेदन, पाँच बन्दी

*

मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक मधुबनी दौरासँ पहिने खुटौना प्रखंडक स्थानीय बाजार आ झांझपट्टी गाममे संचालित अवैध मिनी गन फैक्ट्रीक उद्भेदन भेल अछि। बिहार एसटीएफ बृहस्पति देर राति फुलपरास अनुविभागीय पुलिस अधिकारी आ खुटौना थाना सहित अन्य थानाक पुलिस संग संयुक्त छापा मारलक।छापामारीक दौरान पुलिस पैघ संख्यामे अर्धनिर्मित हथियार, निर्माण सामग्री आ अन्य उपकरण बरामद कयलक। पुलिस एखनहु मामिलाक जांच कए रहल अछि। एहि घटनाक बादसँ क्षेत्रमे दहशत पसरि गेल अछि।

जानकारीक अनुसार अवैध कारखाना “मेसर्स किसान इंजीनियरिंग वर्क्स”क नामसँ कृषि उपकरण मरम्मत केन्द्रक आड़मे चलि रहल छल। ई कारखाना खुटौना पुलिस स्टेशनसँ मात्र ७०० मीटर दूर स्थित अछि। छापामारीक दौरान पैघ मात्रामे निर्माणाधीन हथियार, उपकरण आ अन्य सामग्री बरामद कयल गेल अछि। पुलिस एहि मामिलामे पाँच गोटेकेँ बन्दी बनेलक अछि।

पूर्वक भाँति एहि अवैध व्यवसायक लिंक सेहो मुंगेरसँ जुड़ल अछि। मुंगेरक कुशल कारीगर एहि व्यवसायमे शामिल अछि। ई कारीगर बाबूबरही थाना क्षेत्रक तेघरा गाममे किरायाक घरमे रहि ई काज कय रहल छल।

डीएसपी फुलपरास एहि मामिलाक बारेमे मीडियासँ गप्प करैत कहलनि जे मुख्यमंत्रीक प्रगति यात्रा संभावित अछि, एहेन स्थितिमे पिछला 15 दिनसँ गश्त बढ़ा देल गेल अछि। एम्हर ९ जनवरीकेँ गश्तीक क्रममे अवैध हथियारक गुप्त सूचना भेटल। ओकर बाद एसएचओक नेतृत्वमे पुलिसक एकटा टीम झांझपट्टी गाममे राजू कुमार साहक घरकेँ घेरि छापा मारलक, जतय राजू कुमार साह एवं मुंगेरक राज कुमार चौधरीकेँ बंदी बनेलक।

ओतय एकटा मिनी गन कारखानाक पता चलल, जाहिमे कतेको अर्ध-निर्मित हथियार बरामद कयल गेल। ओतयसँ भेटल इनपुटक आधार पर खुटौना बाजारमे स्थित किसान ऑटो पार्ट पर छापा मारल गेल। छापामारीमे इस्तियाक आलम, इफ्तिखार आलम आ इम्तियाज आलम नामक तीनटा व्यक्तिकेँ गिरफ्तार कयल गेल अछि। हथियारक पैघ मात्रामे अर्ध-निर्मित सामग्री सेहो बरामद कयल गेल छल। एहि घटनासँ प्रशासन आ सुरक्षा एजेंसी पर गंभीर सवाल उठि रहल अछि, विशेष रूपसँ जखनि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार १२ जनवरीकेँ ब्लॉकक दुर्गीपट्टीमे “प्रगति यात्रा” मे भाग लेबय वाला छथि। ई घटना प्रशासनक सतर्कता पर सेहो सवाल उठबैत अछि। खुटौना पुलिस स्टेशन कहलक जे मामिलाक गहन जाँच कयल जा रहल अछि। पुलिस ई पता लगाबय केर कोशिश कऽ रहल अछि जे एहि अवैध व्यवसायक नेटवर्क कतेक दूर धरि पसरल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *