झारखण्डक छठम विधानसभाक विशेष सत्रक तेसर दिन वित्त मंत्री राधा कृष्ण किशोर राज्य सरकारक तरफसँ चालू वित्तीय वर्ष २०२४-२५ लेल ११,६९७.४५ करोड़ टाकाक अनुपूरक बजट प्रस्तुत कयलनि।
वित्तीय वर्षक ई दोसर अनुपूरक बजट अछि। अनुपूरक बजटमे सबसँ बेसी राशि महिला आ बाल विकास विभाग लेल आवंटित कयल गेल अछि। एहि विभाग द्वारा संचालित ‘मुख्यमंत्री मईयां सम्मान योजना’ लेल ६,३९०.५५ करोड़ टाकाक राशि आवंटित कयल गेल अछि। ई योजना अगस्तमे शुरू कयल गेल छल जकर अन्तर्गत ५७ लाख महिलासभकेँ प्रति मास १,००० रुपैया देल जा रहल छल। सरकार दिसम्बरसँ ई राशि १,००० रुपैयासँ बढ़ाकऽ २,५०० रुपैया प्रतिमाह कऽ देलक अछि।
राज्यपाल संतोष कुमार गंगवार अनुपूरक बजट प्रस्तुत होयबासँ पहिने अपन अभिभाषणमे एकर घोषणा कयलनि। अनुपूरक बजटमे स्कूली शिक्षा विभागक लेल २७२ करोड़, सड़क निर्माण विभागक लेल १७०.१५ करोड़, ग्रामीण विकास विभागक लेल १९४.२८ करोड़, गृह, जेल आ आपदा प्रबंधन विभागक लेल ४४५.९२ करोड़, ऊर्जा विभागक लेल २,५७७•९२ करोड़ आ पशुपालन विभागक लेल २५०•९६ करोड़ आवंटित कयल गेल अछि।
अध्यक्ष घोषणा कयलनि जे बृहस्पति दिन सदनमे अनुपूरक बजटपर चर्चा कयल जायत। प्रत्येक दलक एकटा प्रतिनिधिकेँ बहसमे भाग लेबाक अवसर भेटत। एकरा संग सदनक कार्यवाही बृहस्पतिकेँ दूपहर १२ बजे तकक लेल स्थगित कऽ देल गेल। एहिसँ पहिने बुधदिन राज्यपाल संतोष कुमार गंगवारक अभिभाषणसँ सदनक कार्यवाही प्रारम्भ भेल। अपन संबोधनमे राज्यपाल सदनमे राज्य सरकारक रोडमैप आ विकासक दृष्टिकोण प्रस्तुत कयलनि।
ओ कहलनि कि ६०,००० शिक्षकक पद भरल जाएत। एकर अतिरिक्त १५,००० प्राचार्यक नियुक्ति कयल जायत। १०,००० पुलिसकर्मीक नियुक्ति आ क्षेत्रीय एवं जनजातीय भाषाकेँ सुदृढ़ करबाक लेल १०,००० भाषा शिक्षककेँ नियुक्त करबाक घोषणा सेहो कयलनि।
अभिभाषणमे कयल गेल अन्य महत्वपूर्ण घोषणाक अनुसार झारखण्डमे मदरसा बोर्डक स्थापना कयल जायत। स्व-सहायता समूहसँ जुड़ल महिलासभक लेल स्वरोजगारक अवसर उपलब्ध करायल जायत। लोकसभकेँ अबुआ स्वास्थ्य सुरक्षा योजनासँ जोड़ल जायत। गरीबकेँ सरकार द्वारा ७ किलो चाउर आ २ किलो दालि देल जायत। अबुआ आवास योजनाक तहत २५ लाखसँ बेसी गरीब परिवारकेँ तीन कोठरीक सुन्दर आवास चरणबद्ध तरीकासँ उपलब्ध कराओल जायत।