राजनीति

भाजपाक ईवीएम मुद्दा पर कांग्रेस पर पलटवार, कयलक एही प्रक्रियासँ चुनल जयबाक कारण राहुलक इस्तीफाक मांग

नई दिल्ली
*

चुनाव परिणामक बाद लगातार ईवीएम केर विश्वसनीयता पर प्रश्न उठा रहल कांग्रेस पर भाजपा पलटवार कयलक अछि। भाजपा प्रवक्ता गौरव भाटिया कहलनि जे राहुल गाँधी, हुनक मुख्यमंत्री आ अन्य निर्वाचित प्रतिनिधिकेँ पहिने इस्तीफा देबाक चाही आ घोषणा करबाक चाही जे ओ मतपत्र वापिस अयलाक बादे चुनाव लड़ताह। जँ ओ करैत छथि तखनि शायद हुनक आत्मविश्वास सेहो बढ़ि जायत। अन्यथा, ई आरोप खाली शब्द बनल रहत। राहुल गाँधीकेँ ध्यान रखबाक चाही जे ओ ईवीएम आधारित चुनाव प्रक्रियेक माध्यमसँ चुनि सांसद बनल छथि।

भाजपा प्रवक्ता कहलनि कि कांग्रेसकेँ ईवीएम केर मुद्दा पर अदालतमे जाय केर चाही। मुदा, सर्वोच्च न्यायालय बेर-बेर चुनावी प्रक्रियाक पारदर्शिता आ ईवीएमक विश्वसनीयताक पुष्टि कयलक अछि। कांग्रेसक मुख्यमंत्री, राहुल गाँधी आ प्रियंका गाँधी वाड्राकेँ अपन पदसँ इस्तीफा देबाक चाही किएक तँ ओ सभ ओही चुनावी प्रक्रियासँ चुनल गेल छथि जाहि पर हुनकर पार्टी सवाल उठा रहल अछि।

ओ कहलनि जे ई विडंबना अछि जे कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे ओहि दिन ईवीएम पर सवाल उठौलनि जाहि दिन प्रियंका गांधी वाड्रा लोकसभाक सांसदक शपथ लेलनि। कांग्रेस जल्दिये इतिहासक पन्ना धरि सीमित रहत।

बांग्लादेशमे हिन्दू अल्पसंख्यकक विरुद्ध हिंसाक घटनापर प्रतिक्रिया दैत भाजपा प्रवक्ता गौरव भाटिया कहलनि जे भारतक मजबूत आवाजकेँ अनदेखा नहि कयल जा सकैत अछि। दुनियाक सबसँ पैघ लोकतंत्रक रूपमे भारतक कर्तव्य अछि जे जखनि अल्पसंख्यकसभकेँ कतहु उत्पीड़नक सामना करय पड़ैत अछि तखन ओ आवाज उठाबय। सरकार बांग्लादेशमे हिन्दू अल्पसंख्यकक स्थितिपर अपन रुख व्यक्त कयलक अछि। उच्चायोग लगातार स्थिति पर नजरि राखि रहल अछि।

भाजपा प्रवक्ता आरोप लगओलनि जे समाजवादी पार्टीक नेता आ उत्तर प्रदेशक पूर्व मुख्यमंत्री अखिलेश यादव दंगा करयवलाक लेल ढाल बनि रहल छथि। शान्ति बहाल करबाक प्रतिबद्धता देखयबाक बदला हुनकर पार्टीक सांसद आ अन्य सदस्य हिंसा भड़काबयमे लिप्त छथि। जखनि राज्यमे हुनक सत्ता छल, तखनि अक्सर दंगा भड़कैत छल। विपक्षी पार्टीकेँ पुलिस पर भरोसा नहिं अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *