देश-दुनिया

इजरायल-लेबनान युद्धविराम समझौतासँ क्षेत्रमे व्यापक शान्ति आ स्थिरता अयबाक आशा : भारत

नई दिल्ली
*

भारत बुधकेँ इजरायल आ लेबनानक बीच युद्धविरामक घोषणाक स्वागत कयलक आ आशा व्यक्त कयलक जे ई एहि क्षेत्रमे व्यापक शान्ति आ स्थिरता आनत जे दीर्घ संघर्षक कारण तनावमे घिरल अछि।
विदेश मंत्रालय एकटा वक्तव्यमे कहलक, “हम इजरायल आ लेबनानक बीच घोषित युद्धविरामक स्वागत करैत छी। हम सदैव तनाव कम करय, संयम बरतय, संवाद आ कूटनीतिक मार्ग पर घुरबाक बात कहलौंह अछि। हम आशा करैत छी जे एहि घटनाक्रमसँ क्षेत्रमे बेसी शान्ति आ स्थिरता आओत।”

पछिला एक सालमे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी पश्चिम एशियामे संघर्ष बढ़लापर गहींर चिन्ता व्यक्त कयलनि आ तनाव कम करबाक भारतक अपीलकेँ दोहरओलनि।

मीडिया रिपोर्टक अनुसार, इजरायल आ हिजबुल्लाहक बीच लेबनानमे बुधदिन स्थानीय समयानुसार भोर ४ बजे (०२:०० जीएमटी/७:३० बजे भारतीय समयानुसार) युद्धविराम लागू भऽ गेल।

एहिसँ पहिने मंगलदिन अमेरिकी राष्ट्रपति जो बाइडेन कहलनि जे इजरायल आ लेबनानक बीच युद्धविराम समझौताक बाद लेबनानक सेना एक बेर फेर अपन क्षेत्रपर नियन्त्रण कऽ लेत। ओ कहलनि, “अगिला ६० दिनमे, इजरायल धीरे-धीरे अपन शेष सैन्य आ नागरिकसभकेँ वापिस लऽ लेत – दुनू पक्षक नागरिक जल्दिये सुरक्षित रूपसँ अपन समुदायमे घुरि सकैत छथि आ अपन घरक पुनर्निर्माण शुरू कऽ सकैत छथि।”

राष्ट्रपति बाइडन कहलनि, “एकर उद्देश्य शत्रुता केर स्थायी रूपसँ समाप्त करब अछि।”

ओ कहलनि, “हमर स्पष्ट करैत छी कि, “जँ हिजबुल्लाह वा कोनो आन एहि समझौताकेँ तोड़ैत अछि आ इजरायलक लेल सीधा खतरा उत्पन्न करैत अछि तँ अंतर्राष्ट्रीय कानूनक अन्तर्गत इजरायलक आत्मरक्षाक अधिकार अक्षुण्ण रहत।” ओ कहलनि, “हिजबुल्लाह आ अन्य आतंकवादी संगठनक बचि गेल लोकसभकेँ फेर कहियो इजरायलक सुरक्षाकेँ खतरा उत्पन्न करबाक अनुमति नहि देल जायत।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *