महाराष्ट्र विधानसभा चुनावसँ ठीक एक दिन पहिने बहुजन विकास अघाड़ी भारतीय जनता पार्टीक राष्ट्रीय महासचिव विनोद तावड़े पर गंभीर आरोप लगओलक अछि। बहुजन विकास आघाडीक विधायक क्षितिज ठाकुर आ हुनक कार्यकर्ता सभक आरोप अछि जे विनोद तावड़े महाराष्ट्र विधानसभा चुनावसँ पहिने पैसा बाँटबाक लेल आयल छलाह।
एकर बाद विनोद तावड़ेकेँ पालघरक नालासोपारा विधानसभा क्षेत्रमे बहुजन विकास अघाड़ीक कार्यकर्ता सभ घेरि कऽ हंगामा कयलक। यद्यपि, भाजपाक वरिष्ठ नेता तावड़े एहि आरोपसभकेँ पूर्णतः खारिज कऽ देलनि।
मीडियासँ बातचीत करैत ओ कहलनि, “नालासोपारा विधायकसभक बैसार चलि रहल छल। मतदानक दिन आदर्श आचार संहिता, वोटिंग मशीनकेँ कोना सील कैल जायत आ जँ कोनो आपत्ति करय केर अछि तऽ ओ केना कएल जाएत आदि हम हुनका सभकेँ एहि बारेमे बताबए आयल छलहुं। बहुजन विकास अघाड़ीक कार्यकर्ता क्षितिज सोचलनि जे हम पाइ बाँटि रहल छी। चुनाव आयोग आ पुलिसकेँ जांच करय दिअ, हम ४० सालसँ पार्टीमे छी, पूरा पार्टी हमरा जानैत अछि, तइयो हम मानैत छी जे चुनाव आयोगकेँ निष्पक्ष जांच करय केर चाही।”
एहि पूरा घटनाक वीडियो सोशल मीडिया पर सेहो वायरल भऽ रहल अछि। वीडियोमे विनोद तावड़े आ स्थानीय नेता राजन नाइककें मुंबईक विवांता होटलमे बहुजन विकास अघाड़ीक कार्यकर्तासभसँ घेरल देखल गेल अछि। एहि दौरान भाजपा आ बहुजन विकास अघाड़ी कार्यकर्ताक बीच भयंकर हंगामा भेल। वर्तमानमे होटलमे कतेको पुलिस अधिकारी उपस्थित अछि। स्थिति तनावपूर्ण होयबाक कारण होटल सील कऽ देल गेल अछि।
दोसर दिसि भाजपा नेता विनोद तावड़ेक वायरल वीडियो पर शिवसेना नेता प्रियंका चतुर्वेदीक प्रतिक्रिया सामने आबि गेल अछि। सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर वीडियो साझा करैत ओ लिखलनि, “एक पैसा फेंक, चुनाव आयोग तमाशा देख, जनता आब थप्पड़ मारत।”
विनोद तावडेक वायरल वीडियोकेँ लऽ कऽ कांग्रेस सेहो भाजपा पर निशाना साधलक। ओ कहलक, “भाजपाक राष्ट्रीय महासचिव विनोद तावड़े महाराष्ट्रक एकटा होटलमे पैसा बाँटैत पकड़ल गेल छथि। विनोद तावड़े एकटा झोरामे पाइ लऽ कऽ गेल छलाह आ ओतय लोकसभकेँ बजा कऽ पाइ बाँटि रहल छलाह। जखनि ई समाचार जनताक सामने आयल तखनि भारी हंगामा भेल। विनोद तावड़ेक कतेको वीडियो पाइ केर संग आबि रहल अछि। महाराष्ट्रमे मतदान होयबासँ ठीक पहिने भाजपा नेता पैसाक दमपर चुनावकेँ प्रभावित करबामे व्यस्त छथि। एहिमे कार्यकर्तासँ लऽ कए पैघ नेता धरि शामिल अछि। चुनाव आयोगकेँ एहि मामिलाक संज्ञान लेबाक चाही आ सख्त कारवाई करबाक चाही।”