धन्वंतरी जयंती आ ९म आयुर्वेद दिवसक अवसर पर प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी मंगलदिन नई दिल्लीक अखिल भारतीय आयुर्वेद संस्थान (एआईआईए) मे आयोजित एकटा समारोहमे लगभग १२,८५० करोड़ टाकाक विभिन्न स्वास्थ्य परियोजनाक उद्घाटन आ शिलान्यास कयलनि। एहि अवसर पर प्रधानमंत्री मोदी लाभार्थी सभकेँ आयुष्मान वया वंदना कार्ड सौंपलनि। अपन संबोधनक दौरान प्रधानमंत्री मोदी कहलनि जे चुनावक समय हम गारंटी देने छलहुँ जे तेसर कार्यकालमे ७० सालसँ बेसी उम्रक सभ बुजुर्गकेँ ‘आयुष्मान योजना’क अन्तर्गत आनल जायत। आइ ई गारंटी धनवंतरी जयन्तीक दिन पूरा कयल जा रहल अछि। आब देशक ७० सालसँ बेसी उम्रक हर बुजुर्गकेँ अस्पतालमे मुफ्त इलाज भेटत।
एहेन बुजुर्गकेँ आयुष्मान वया वंदना कार्ड देल जायत। ओ कहलनि जे ई योजना एकटा मीलक पत्थर साबित होयत। पीएम मोदी इहो कहलनि जे दिल्ली आ पश्चिम बंगाल राज्य अछि जतय सरकार आयुष्मान योजनाकक अनुमति नहिं देलक, जाहि कारण बुजुर्गकेँ एकर लाभ नहिं भेटत।
सभाकेँ सम्बोधित करैत प्रधानमंत्री मोदी कहलनि जे ई देशक लेल प्रसन्नताक विषय अछि जे आइ १५० सँ बेसी देशमे आयुर्वेद दिवस मनाओल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे ई आयुर्वेदक प्रति बढ़ैत वैश्विक आकर्षणक प्रमाण अछि। ई एहि बातक प्रमाण अछि जे नव भारत अपन प्राचीन अनुभवक माध्यमसँ दुनियाकेँ कतेक दऽ सकैत अछि।
प्रधानमंत्री धनतेरस, भगवान धन्वंतरि जयंती आ दीपावलीक अवसर पर देशवासीकेँ बधाई देलखिन। एहि सालक दिवालीकेँ ऐतिहासिक बताबैत प्रधानमंत्री कहलनि, “५०० सालक बाद एहेन अवसर आयल अछि जखन अयोध्यामे रामललाक जन्मस्थलपर बनल मन्दिरमे हजारो दीप जराओल जायत। एकटा अद्भुत उत्सव होएत। एहेन दीपावली होयत, जखन हमर राम एक बेर फेर अपन घर आबि गेल छथि, आ एहि बेर ई प्रतीक्षा १४ सालक बाद नहि, ५०० सालक बाद पूरा भेल अछि।”
अपन संबोधनक दौरान पीएम मोदी आगू कहलनि जे देशक नागरिक जतेक स्वस्थ होयत, ओहि देशक प्रगतिक गति सेहो तेज होयत, एहि सोचक संग अपन नागरिकक स्वास्थ्यकेँ प्राथमिकता दैत केंद्र सरकार स्वास्थ्य नीतिक पाँच स्तम्भ निर्धारित कयलक अछि-
प्रिवेंटिव हेल्थकेयर सेवाक अर्थ छैक रोग होयबासँ पहिने रोकथाम
रोगक समय पर निदान,
मुफ्त आ सस्ता इलाज, सस्ता दवाई,
छोट शहरमे बढ़िया इलाज आ डॉक्टरक कमी दूर करब
स्वास्थ्य सेवामे टेक्नॉलॉजीक विस्तार
प्रधानमंत्री मोदी कहलनि, “एकटा समय छल जखनि लोकक घर, जमीन, गहना सब इलाजमे बिका जाइत छल। गम्भीर बीमारीक इलाजक खर्च सुनि गरीबक आत्मा कांपि जाइत छल । पैसाक अभावमे इलाज नहिं भेटबाक लाचारी, बेबसी गरीबकेँ तोड़ि दैत छल। ओ कहलनि जे हम एहि लाचारीमे अपन गरीब भाइ-बहिनकेँ नहि देखि सकलहुँ, ताहि लेल ‘आयुष्मान भारत’ योजनाक जन्म भेल। सरकार निर्णय लेलक अछि जे गरीबक ५ लाख रुपया धरि इलाजक खर्च सरकार वहन करत। देशक लगभग ४ करोड़ गरीब आयुष्मान भारत योजनाक लाभ उठौलक अछि। पीएम मोदी कहलनि जे चुनावक समय हम गारंटी देने छलहुँ जे तेसर कार्यकालमे ७० सालसँ बेसी उम्रक सभ वरिष्ठ नागरिककेँ ‘आयुष्मान योजना’क अन्तर्गत आनल जायत। आइ ई गारंटी धनवंतरी जयन्तीक दिन पूरा कयल जा रहल अछि। आब देशक ७० सालसँ बेसी उम्रक हर बुजुर्गकेँ अस्पतालमे मुफ्त इलाज भेटत। एहेन बुजुर्गकेँ आयुष्मान वया वंदना कार्ड देल जायत। ई योजना एकटा मीलक पत्थर साबित होएत। जँ घरक बुजुर्गक लग आयुष्मान वय वंदना कार्ड होयत तखन परिवारक खर्च सेहो कम होयत, हुनकर चिंता सेहो कम होयत।