राजनीति

प्रशांत किशोर बिहारमे नव पार्टी ‘जन सूराज’क कयलनि औपचारिक घोषणा

पटना
*

महात्मा गाँधीक जयन्तीक अवसर पर बिहारक राजनीतिमे एकटा नव पार्टी प्रवेश कयलक अछि। चुनाव रणनीतिकार प्रशांत किशोर ०२ अक्टूबरकेँ अपन राजनीतिक दलक घोषणा कयलनि अछि।

महात्मा गाँधीक जयन्तीक अवसर पर बिहारक राजनीतिमे एकटा नव राजनीतिक दल प्रवेश कयलक अछि। चुनाव रणनीतिकार प्रशांत किशोर आइ बिहारमे अपन पार्टी जन सुराजक घोषणा कयलनि अछि।

आब प्रशांत किशोर नेता बनि गेल छथि। हुनकर अपन राजनीतिक दल अछि। संगहि जन सुराज पार्टीक रूपरेखाक सम्बन्धमे कतेको निर्णय लेबाक छनि। पार्टीक अध्यक्ष के रहत, कतेक दिन धरि हुनकर कार्यकाल रहत, पार्टीक रणनीति की होयत, कोन जिम्मेदारी के लेत, प्रशांत किशोर एहि सभ पर विस्तारसँ चर्चा करताह।

प्रशांत किशोर औपचारिक रूपसँ पटनाक पशु चिकित्सा मैदानमे अपन पार्टी जन सुराजक घोषणा कयलनि। पीके अपन शेखपुरा घरसँ पदयात्रा करैत वेटरनरी मैदान पहुँचलाह। एहि दौरान हुनका सङ्ग पैघ संख्यामे समर्थक सेहो छल।

मंचसँ सम्बोधित करैत प्रशांत किशोर कहलनि जे अहाँ सभकेँ एतेक जोरसँ ‘जय बिहार’ कहय केर अछि, जाहिसँ अहाँके आ अहाँक बच्चाकेँ कियो बिहारी एना नहिं कहय जाहिसँ ई गारि जकाँ बुझाय। अहाँक आवाज दिल्ली आ बंगाल धरि पहुंचबाक चाही जतय बिहारक छात्र छथि। ई तमिलनाडु आ बम्बई धरि पहुँचबाक चाही, जतय बिहारी बच्चासभसँ दुर्व्यवहार आ मारि-पीट कयल गेल।

पीके दावा कयने छथि जे एक करोड़ सदस्यक संग पार्टीक गठन होयत। एहि दौरान पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष, नेतृत्व परिषद आ संविधानक घोषणा सेहो कयल जायत। पार्टीक घोषणासँ पहिने प्रशांत किशोर १७ जिलाक दौरा कऽ चुकल छथि। एहि दौरान ओ ५००० किलोमीटरक पदयात्राक सङ्ग ५ हजार ५०० गाममे चौपाल आ सभा कयने छथि। प्रशांत किशोर पलायनसँ लऽ कऽ बेरोजगारी, शिक्षा आ पिछड़ापन धरिक समस्याकेँ पार्टीक मुद्दा बनौने छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *