राजनीति

तेजस्वी यादवक ९म अनुसूची वाला सवाल पर आब जेडीयू याद दियौलक इतिहास

पटना
*

बिहारक पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव तीनटा मुद्दा पर नीतीश कुमारक मंशा पर सवाल उठौने छलाह, जकर बाद बिहारक राजनीति गर्म भऽ गेल अछि। दरअसल तेजस्वी यादव एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंसमे सवाल उठौने छलाह जे जाति आधारित जनगणनाक बाद आरक्षणक सीमा बढ़ाबय केर राज्य सरकारक मंशा सही नहिं छल। संगहि तेजस्वी इहो कहने छलाह जे राज्यमे अपराध अनियंत्रित भऽ गेल अछि। एकर अलावा तेजस्वी यादव बिहारकेँ विशेष दर्जा देबाक बदला पैकेजक मामिला पर कहने छलाह जे ई सब योजना हुनकर कार्यकालमे पारित भेल छल।

तऽ आब बिहार सरकारक वरिष्ठ मंत्री आ नीतीश कुमारक बहुत नजदीकी अशोक चौधरी तेजस्वी यादवक एहि आरोपक बाद तीनू सवालक जवाब देलखिन आ तेजस्वी यादवसँ किछु सवाल सेहो पूछलखिन जे दिलचस्प अछि आ तेजस्वी यादव जवाब देताह कि नहिं।

अशोक चौधरी पूछलखिन जे लगातार १५ साल तक लालू प्रसाद यादवजीक सरकार बिहारमे छल, मुदा एहि १५ सालमे की भारत सरकार पर जाति आधारित जनगणना करबाक लेल दबाव बनबय केर काज अथवा सर्वदलीय बैठक करय केर काज लालूजीक सरकार कयलक ? तेजस्वी यादवसँ सवाल पूछबाक संग-संग अशोक चौधरी कहलनि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक नेतृत्वमे प्रधानमंत्रीक संग दू बेर सर्वदलीय बैसार भेल। तेजस्वी यादवकेँ इहो बताबय केर चाही जे जाति आधारित गणना नीतीशजीक ब्रेन चाइल्ड अछि, जकरा ज्ञानी जैल सिंहजी हुनक मोनमे अंकुरित कयलनि।
माननीय नेता सोचैत छथि जे जाति आधारित जनगणना लोकक कल्याण लेल अछि आ ताहि लेल ओ जाति आधारित जनगणना कयलनि जाहिसँ सरकार ई तय कऽ सकय जे जनहितमे काज करबाक लेल भविष्यमे कोन-कोन योजना बनाओल जा सकैत अछि।

अशोक चौधरी चुटकी लैत कहलनि जे संभवतः ई तेजस्वीजीक मानस पटलसँ निकलि गेल अछि जे २००५ मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ सत्तामे अयलाक बाद कल्याण विभागक पहिल बेर दू भागमे बांटल गेल छल। राज्य सरकार पहिल बेर वर्ष २००७ मे नोडल विभागक रूपमे पिछड़ा आ अति पिछड़ा वर्ग कल्याण विभागक गठन कयलक। संगहि, वर्ष २००७ मे अनुसूचित जाति आ अनुसूचित जनजाति कल्याण विभागक गठन कयल गेल छल। ओतहि अशोक चौधरी पलटवार करैत कहलनि कि जे लोकनि कहियो अनुसूचित जाति आ जनजातिक अनुकूल नहिं रहलाह, पंचायती राज व्यवस्था जे अनुसूचित जाति आ जनजातिक संवैधानिक अधिकार छल, जे अपन १५ सालक शासनकालमे हुनका ओ संवैधानिक अधिकार देबाक काज सेहो नहिं कयलक, ओ आइ अनुसूचित जाति आ जनजातिक हितक रक्षाक बात कऽ रहल अछि। राज्यमे निरंकुश अपराधक विषय पर तेजस्वी द्वारा उठायल गेल सवाल पर अशोक चौधरी कहलखिन कि राजदक १५ सालक शासनमे आतंक चरम पर छल। जातिगत उन्माद जाहि कारणेँ पूरा मध्य बिहार ११८ नरसंहारसँ लहुलुहान भऽ गेल छल।

ओ कहलनि जे ओहि १५ सालक कार्यकालमे जाहि तरहें अपराधी सभकेँ राजनीतिक संरक्षण देल गेल, की आइ बिहारमे सरकार द्वारा एहेन कोनो संरक्षित अपराधीकेँ आश्रय देल गेल अछि ? बिहारमे आइ कानूनक शासन अछि, जे जनता सेहो पसन्द करैत अछि। अशोक चौधरी इहो सवाल उठबैत हमला कयलनि जे ओहि समय लालू प्रसादक केंद्रमे बहुत महत्वपूर्ण भूमिका छल। एतय धरि कि देशक प्रधानमंत्री तय करबामे हुनक महत्वपूर्ण योगदान छलनि। ओहि समय की बिहारकेँ विशेष राज्यक दर्जा भेटल छल अथवा एहि लेल कोनो गंभीर प्रस्ताव भारत सरकारक समक्ष राखल गेल। एतय धरि की कोनो आर्थिक पैकेज पर्यंत नहिं भेटल आ नहिं लालू-राबड़ीजीक सरकार एकर मांगक आवश्यकता समझलक।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *