शिक्षा

देशमे ८५ टा नव केंद्रीय स्कूल खुलत, जम्मू-कश्मीरमे सबसँ बेसी : केंद्रीय मंत्री जयंत चौधरी

नई दिल्ली
*

केन्द्रीय शिक्षा राज्य मंत्री जयंत चौधरी कहलनि जे जम्मू-कश्मीरमे १३, मध्य प्रदेशमे ११, ओडिशा आ आंध्र प्रदेशमे ८-८टा नव केन्द्रीय विद्यालय खोलल जायत।

केन्द्रीय मंत्रिमंडलक अनुमोदनक बाद १ अप्रैल, २०२५ सँ देशमे ८५ नव केन्द्रीय विद्यालयक स्थापनाक प्रक्रिया शुरू होयत। केन्द्रीय विद्यालय संगठन १८ राज्यमे ८५ नव केन्द्रीय विद्यालय खोलबाक निर्णय लेलक अछि। जम्मू-कश्मीरमे सबसँ बेसी १३ टा नव केन्द्रीय विद्यालय खोलल जायत। मध्य प्रदेशमे ११टा आ उड़ीसा आ आन्ध्र प्रदेशमे ८-८टा नव केन्द्रीय विद्यालय खोलल जायत। केंद्रीय शिक्षा राज्य मंत्री जयंत चौधरी कहलनि कि समयबद्ध तरीकासँ नव केंद्रीय विद्यालय शुरू कयल जायत।

चौधरी कहलनि जे पहिल चरणमे नव ८५ केन्द्रीय विद्यालयमे कक्षा १ सँ कक्षा ५ तकक शिक्षा देल जायत। एहि नव विद्यालयकेँ खोलबाक लेल स्थानक पहिचान कयल गेल अछि। आरम्भमे ई विद्यालय अस्थायी भवनमे शुरू कयल जायत।

आगू चौधरी कहलनि, नव केन्द्रीय विद्यालय समयबद्ध तरीकासँ शुरू कयल जायत। हम केंद्रीय स्कूलसभमे बच्चासभकेँ कौशल आधार प्रशिक्षण देबाक लेल पैघ स्तरपर पहल शुरू कयलहुँ अछि। हम बच्चासभकेँ अनुकूलित तरीकासँ कौशल प्रशिक्षण दऽ रहल छी।

ओ कहलनि जे प्रशिक्षककेँ पढ़ाबय केर योजना शुरू कऽ देल गेल अछि। एकर अन्तर्गत कौशल विकासक लेल प्रशिक्षण देनिहार शिक्षकसभकेँ प्रशिक्षण देल जा रहल अछि। आइ औपचारिक डिग्रीक संग नौकरीक परिभाषा बदलि गेल अछि। आइ आई.आई.टी.सँ उत्तीर्ण छात्रसभकेँ सेहो जरूरी नहि जे नोकरी भेटय। हुनका अपन कौशल बढ़ेबाक लेल लगातार काज करय पड़त। कौशल विकास आब औपचारिक शिक्षणक हिस्सा सेहो बनि गेल अछि।

आगा ओ कहलनि, “हम २८ टा नव नवोदय विद्यालय खोलबाक निर्णय सेहो लेने छी। नवोदय विद्यालयक छात्रक प्रदर्शन केन्द्रीय विद्यालयसँ सेहो नीक अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *