चुनाव

जम्मू-कश्मीर विधानसभा चुनावक ४० सीटपर ५ बजे तक ६५% मतदान

नई दिल्ली
*

जम्मू-कश्मीर विधानसभा चुनावक तेसर चरणक लेल मतदान भेल। निर्वाचन आयोगक अनुसार, ४० सीटक तेसर चरणमे ५ बजे धरि ६५% मतदान भेल छल। मतदातामे वोट देबाक उत्साह देखल जा रहल छल।

जम्मू-कश्मीरमे विधानसभा चुनावक तेसर आ अंतिम चरणक लेल मंगलदिन मतदान भेल। जम्मूक मैदानी इलाकासँ लऽ कऽ कश्मीरक पहाड़ धरि पसरल ४० निर्वाचन क्षेत्रमे कुल ३९.१८ लाख मतदाता ४१५ उम्मीदवारक भाग्यक फैसला कयलनि।

जम्मू संभागक जम्मू, सांबा, कठुआ आ उधमपुर जिला आ घाटीक बारामूला आ कुपवाड़ा जिलामे पसरल ४० निर्वाचन क्षेत्रमे मतदान होयत। जम्मू जिलामे ११, साम्बा (३), कठुआ (६) आ उधमपुर (४), जखन कि बारामूला (७), बांदीपोरा (३) आ कुपवाड़ा जिलामे छओ विधानसभा सीट अछि।

निर्वाचन आयोग तेसर चरणक मतदाता लेल ५,०३० मतदान केन्द्र स्थापित कयने छल। कश्मीरी विस्थापित मतदाता लेल विशेष मतदान केन्द्र बनाओल गेल छल। एहिमेसँ ११टा जम्मूमे, चारिटा दिल्लीमे आ एकटा उधमपुर जिलामे छल।

सबसँ बेसी मतदान उधमपुरमे ७२.९१ दर्ज कयल गेल। बारामूलामे सबसँ कम ५५.७३% छल। साँझ ६ बजे धरि कुल ३९.१८ लाख मतदाता मतदान करबाक पात्र छलथि।

तेसर चरणक ४० सीटमे २४ जम्मू संभागमे आ १६ सीट कश्मीर घाटीमे अछि। अंतिम चरणमे ४१५ उम्मीदवार चुनाव मैदानमे छलथि। एहिमे ३८७ पुरुष आ २८ महिला उम्मीदवार छथि।

एम्हर पीडीपीक प्रवक्ता मोहित भान आरोप लगओलनि जे कुपवाड़ाक हटमुल्ला मतदान केन्द्रपर धीमा मतदान कराओल जा रहल छल। ओ एक्स पर कहलनि – पृथ्वी पर कियो एहेन नहिं अछि जे मतदानक समय समाप्त होयबा धरि मतदाता सभक मदति कऽ सकय।

अवामी इत्तेहाद पार्टीक अध्यक्ष आ लोकसभा सांसद इंजीनियर राशिद कहलनि, २०१४ केर बादसँ राज्यमे लोकक आवाज दबाओल गेल। जँ हम सत्ता चाहितौंह तऽ मोदीसँ हाथ मिलबितौंह।

तीनू चरणक वोटक गिनती ०८ अक्टूबर कऽ होएत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *