मधुबनीक माल गोदाम रोड पर सत्यकाम फाउंडेशन ट्रस्टक कार्यालयमे काल्हि सोमदिन खुब हंगामा भेल जखन सैकड़ो पीड़ित जमा भेलाह आ हंगामा शुरू कऽ देलनि। सभ आरोप लगबैत छथि जे ट्रस्ट द्वारा ऋण आ अन्य वित्तीय सहायताक वादा कयल गेल छल, मुदा समय बीतलाक बादो नहि रूपया भेटल आ नहिं ट्रस्टक कर्मीसँ कोनो सम्पर्क भऽ रहल।
पीड़ितक कहब छनि जे सत्यकाम फाउंडेशन ट्रस्ट द्वारा हुनका सभसँ धोखा देल गेल अछि। ओ इहो आरोप लगओलनि जे ट्रस्टक कर्मचारी अचानक कार्यालयसँ फरार भऽ गेल छथि, जाहिसँ समस्या उत्पन्न भऽ गेल अछि। पीड़ित लोकनि कहलनि जे ओ एहि मामिलाक जानकारी जिला मजिस्ट्रेट (डीएम) आ अनुविभागीय अधिकारी (एसडीएम) केँ देलनि आ प्रशासनसँ तत्काल मदति करबाक अपील कयलनि।
एहि आरोपपर प्रतिक्रिया दैत सत्यकाम फाउंडेशन ट्रस्टक जीएम कहलनि जे ओ एहि मामिलाक जाँच कऽ रहल छथि आ दोषी पाओल जायवला लोकक विरुद्ध उचित कारवाई कयल जायत। यद्यपि ओ मामिलाक गम्भीरताकेँ स्वीकार कयलनि आ कहलनि जे जांच पूरा होयबा धरि कोनो बयान देबासँ परहेज करब उचित होयत।