अंतर्राष्ट्रीय योग दिवसक अवसर पर शनि दिन प्रातः काल भूतनाथ रोड स्थित इनकम टैक्स कॉलोनीमे देवराहा निवास केर ऊपरी तल पर योगाभ्यास कार्यक्रमक आयोजन भेल। गैर सरकारी निबंधित संस्था ‘उग्राद्या’ द्वारा विगत एगारह बरखसँ निरन्तर आयोजित होमय वला एहि कार्यक्रममे सूर्य नमस्कार, ताड़ासन, हलासन, भुजंगासन, मण्डूकासन, सर्वाँगासन, शीर्षासन, शवासन आदि विभिन्न आसनक अभ्यासक संग कपालभांति, अनुलोम विलोम, त्रिबन्ध, भ्रामरी, उदगीत, उज्जायी आदि प्राणायाम कराओल गेल।
कार्यक्रमक शुभारम्भ *’उग्राद्या’* केर सचिव एवं समाजसेवी डॉ. विनय कर्ण द्वारा वैदिक मन्त्रोच्चार सौं भेल। बेबी कुमारी सिन्हा, अमृता सिन्हा, आशुतोष राज, कल्पना कुमारी कर्ण, चन्दन कुमार, प्रीति प्रिया, आर्या, जगन्नाथ बेरा, सबिता बेरा, ज्योति पाठक, संजीव कुमार पाठक, नविता कुमारी, आर्णा कर्ण, शुभ्रा अश्वमेधी, अमृता शाम्भवी, समृद्ध विशाल, श्रीयान विशाल, रविन्द्र कुमार, अजय कुमार आज़ाद आदि अनेक गोटय एहि योगाभ्यास कार्यक्रमक हिस्सा बनि स्वस्थ मानव जीवनमे योगक महत्वकेँ पुनः रेखांकित कयलन्हि।
वरिष्ठ योगाभ्यासी शशिभूषण प्रसादक अध्यक्षतामे आयोजित एहि कार्यक्रममे 2 बर्खक नेना सौं लऽ कऽ लगभग 80 बर्खक वरिष्ठ नागरिक एवं पर्याप्त संख्यामे महिला सभ सेहो उत्साहपूर्वक भाग लेलन्हि। योगाभ्यास सत्रक संचालन योग प्रशिक्षक सुमित सौरभ द्वारा सफलतापूर्वक कएल गेल।
कार्यक्रमक अंतमे सब आगन्तुक अभ्यासी सभक संग-संग सहयोगी संस्था साईं चित्रांगन प्राइवेट लिमिटेड, बिहार आर्ट गैलरीक आयोजक एवं संयोजक संस्था उग्राद्या, उग्राद्या रिसर्च एंड डेवलपमेंट सेंटर केर तरफसौं धन्यवाद ज्ञापित करैत आभार व्यक्त कयल गेल।